+977 9854027065 | akulpdsah@gmail.com

हमर जन्मभूमि

4 महीना पहिले प्रकाशित

Akul Prasad Sah

594 Views

कविता


भूवन भूवन भटकु नै,
जन्मल छी कोन ठाम ।
रुप रङग निखरल अछि,
याद करु ओ गाम ।
जन जन आ मन मन मे,
हमर जन्म भूमि ।
जनमल छि जै ठाम,
ओहे माटी चुमी ।

माटीके रंग रुप नै,
कलाके कमाल अछि ।
कुमहार गह्रैत अछि बर्तन,
देखु ई मिसाल अछि ।
मायक कोईँख जनमल,
बहुतो बाल बच्चा ।
किनको जीवन कालिक अछर,
किन्को चान्द सरीखा ।
किन्खो जन्म सँ,
जन्म दाता आ जन्म भूमियो तबाह अछि ।
धु्रब प्रहलाद आ बुद्ध के देखीयौ,
अखन्तो वाह वाह अछि ।

भुखन भैया, बुढीया दैया,
झौलीया काका के पराती ।
साँझ गौडगहर पर,
गैबरवा ठोकैत अछि लाठी ।
खलिफा काका अखारापर,
सढिया संग लरैत अछि ।
कैलि काकी गुवा लेने,
खेतक ओर बढैत अछि ।
बिसैर जन्मभूमि,
कुदकु नै धाम धाम ।
माई बाप ब्याकुल त,
कि करब राम नाम ।

कर्म करु नाम ला,
कौरी के की मोल अछि ।
मधेशक माटी अखन्तो,
अन्मोल अछि ।
अभिनस्त प्राणी के,
बोली नै बोल अछि ।
मोलजोल राजनीति संग,
बीर सहिदक खोल अछि ।

दिन मे दिया बारुनै,
दिनकर जी उगले छथिन,
मधेश मे मारु झारु नै,
मधेशीया नेता सुतले छथीन ।

आई काईल झगडा अछि,
सत्ता रुपी माला ला ।
गिरगीटीया नेता ठार छैत,
मधेशक कुञ्जी ताला ला,
राजाके राजमे मधेशीया निरबुधीया,
लोकतन्त्र, गणतन्त्र मे भेलौ हम,
नौ नौ कुटीया ।

तैँ भुवन भुवन भटकु नै
जन्मल छी कोन ठाम ।
रुप रङग निखरल अछि,
याद करु ओ गाम ।
जन जन आ मन मन मे,
हमर जन्म भूमि ।
जनमल छि जै ठाम,
ओहे माटी चुमी ।

 

लेखक ः भोला यादब

यो खबर पढेर तपाईलाई कस्तो महसुस भयो ?

कमेन्ट गर्नुहोस्

एमाले सर्लाहीको अध्यक्षमा साह निर्वाचित, अन्य पदाधिकार..

संजु कर्ण, जेठ ४ गते । नेकपा एमाले सर्लाहीको अध्यक्षमा राजनारायण साह निर्वाचित भएको छ । निकटतम प्रतिस्पर्धी गणेश..

2 दिन पहिले

अख्तियारको टोलीद्धारा पोखरिया नगरपालिकाबाट कागजातहरु ..

रंजित चौरसिया,वीरगंज २ जेष्ठ । पर्साको पोखरिया नगरपालिकामा अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग हेटौंडाको टोली मंग..

4 दिन पहिले

रुट परमिटको नाममा भारतीय पर्यटकमाथि ट्राफिक प्रहरीको ज..

प्रिंन्स मिश्रा, कपिलवस्तुकपिलवस्तु, बैशाख ३० गते । अधिकांश भारतीय पर्यटकहरु भन्सार शुल्क तिरिसकेपछि निर्वाधरु..

7 दिन पहिले

कविता :- विद्यालय मन्दिर हो

       कविताविद्यालय मन्दिर हो लेखक ः मनोज पण्डित     बिदेह न.पा. ७,   वेलापटटी, धनुषा   विद्यालय मन्दि..

7 दिन पहिले

जानकी जन्मोत्सव नौ दिवसिय मनाईदै

कमल साहजनकपुरधाम,वैशाख ३० गते । श्री जानकी नवमी महोत्सव यहाँका श्री जानकी मन्दिरलगायतका मठ मन्दिरहरुमा नौ दिवसि..

7 दिन पहिले